Font by Mehr Nastaliq Web

भाषा दिवसक अवसरपर

रोशन जनकपुरी

अन्य

अन्य

रोशन जनकपुरी

भाषा दिवसक अवसरपर

रोशन जनकपुरी

और अधिकरोशन जनकपुरी

    माय

    दुब्बरि,

    लटुआयल,

    अधभुक्खल-भुक्खल

    सुक्खल ठोरबाली

    उदास माय

    चुनि आयल आँचरसँ

    जखन पोछैत अछि

    बौआक मुँह,

    तखन भूख सिनेहक सुखक संगे

    मातृत्व तँ सरसराइत अछि ओकर,

    मुदा स्तन सुखले रहैत अछि,

    मायक स्तनमे दूध कोना उतरत,

    कहिया उतरत, किछु सोचलियैये?

    मानलहुँ सोनक चम्मच चानीक कटोरा

    किननिहार-बेचनिहारकेँ फुर्सत नहि अछि

    एहन बातक लेल,

    मुदा अहाँ?

    स्रोत :
    • पुस्तक : समय गीत (पृष्ठ 110)
    • रचनाकार : रोशन जनकपुरी
    • प्रकाशन : मैथिली विकास कोष, जनकपुर
    • संस्करण : 2013

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY

    हिन्दवी उत्सव, 27 जुलाई 2025, सीरी फ़ोर्ट ऑडिटोरियम, नई दिल्ली

    रजिस्टर कीजिए