Font by Mehr Nastaliq Web

दूटा रंग चुनावके

duta rang chunavke

रोशन जनकपुरी

अन्य

अन्य

रोशन जनकपुरी

दूटा रंग चुनावके

रोशन जनकपुरी

और अधिकरोशन जनकपुरी

    (1)

    राजनैतिक आकाशमे उगल

    असमयके चुनावी चन्द्रमाक प्रकाशमे

    भुक्खल पेटमे

    आशाके अंकुर अँकुरायल अछि फेर

    निर्भाव नयनसभमे

    मोहक सपनाक भाव

    सरसरायल अछि फेर,

    मुदा की कयल जाय

    निष्ठुर इतिहासकेँ,

    जाहिमे अंकित अछि

    वचन, आश्वासन विश्वासक

    प्रत्येक एकदिनहा चुनावी खेतीक बाद

    पंचबरखा अकाल अबैत अछि।

    (2)

    फेर उधार माङल बघनक्खा

    नमड़ि रहल अछि

    फेर रक्तपिपासु दाँत

    चमकि रहल अछि

    फेर कुर धूर्त नील गिद्दरसभ

    गाम पैसबाक तैयारीमे अछि

    फेर डाढ़ि-डाढ़िपर

    गिद्ध डेरा खसा रहल अछि

    समाध चारुदिस फैल रहल अछि—

    एत्तऽ आत्महत्याके चरण प्रारम्भ होबऽबला अछि—

    आशा सभक

    वचन सभक

    विश्वास सभक

    शूरु होबऽबला अछि मौसम

    मऽर बनबाक।

    हरेक मोर्चा कसकसायल अछि

    अपन-अपन पँचबरखा

    महाभोजक योजना सहित।

    स्रोत :
    • पुस्तक : समय गीत (पृष्ठ 28)
    • रचनाकार : रोशन जनकपुरी
    • प्रकाशन : मैथिली विकास कोष, जनकपुर
    • संस्करण : 2013

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY

    हिन्दवी उत्सव, 27 जुलाई 2025, सीरी फ़ोर्ट ऑडिटोरियम, नई दिल्ली

    रजिस्टर कीजिए