बभनगमाबाली भौजीक जीवनक महत्त्वपूर्ण घटना सभक एक टा संक्षिप्त विवरणिका
आ से एहेन अहिबाती के हेती
जे बभनगमाबाली भौजीक सोहाग-भाग देखि जरि नहि जेती
ओना मानलहुँ
जे हुनका पोथी-पतराक दर्शन नहि भेलनि
मानलहुँ जे पाबनि-तिहारे हुनका तेल-कूड़ भेटलनि
मानलहुँ जे चाभीक गुच्छा
ओ कहियो अपन आँचरमे नहि बान्हि सकलीह
इहो मानलहुँ जे लाख कबुलाक बादो
आजीवन ओ दोसर पुत्र-रत्न प्राप्त नहि कऽ सकलीह
मुदा निस्सन्देह
एक टा भरल-पूरल जीवनकेँ छाँटैत-फटकैत
अपन 37 बरखक बयसमे ओ
38289 टा सोहारी पकेलीह
2173 डेगची भात पसेलीह
13000 बेर बर्त्तन-बासन माँजलीह
307 बेर आँगन निपलीह
47 टा साड़ी आ 92 टा ब्लाउज पहिरलीह
275 राति भूखल सुतलीह
हुनका 3 बेर भेटलनि सम्भोगक सुख आ 949 बेर भेलनि बलात्कार
बेटी जनमौलनि 4 टा आ 5 बेर
भेलनि गर्भपात
मुदा ई देखू सभसँ मार्मिक बात
जे ठीक बरसातिक प्रात
जखन हुनक सीथ रहनि सिनूरसँ कहकह करैत
आ भरल रहनि लहठीसँ हाथ—
तखन अपन स्वामीक आगू
बिना अन्न-जल ग्रहण कयने ओ भऽ गेली विदा
- पुस्तक : एकटा हेरायल दुनिया (पृष्ठ 56)
- रचनाकार : कृष्णमोहन झा
- प्रकाशन : अंतिका प्रकाशन
- संस्करण : 2020
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.